Manuscript Number : SHISRRJ25819
डा. अरविन्द अक्कूक जीवन आ साहित्यक विश्लेषण
Authors(1) :-Dr. Shalini Thapa मैथिली नाट्य-साहित्य मे अनेको नाटककार भेलाह अछि आ एखनो भऽ रहल छथि। जँ मैथिली नाटककारक सूची बनाओल जाय त ओहि सूची मे एक नाम डा. अरविन्द अक्कूक नाम सेहो रहबे करत किएक त डा. अरविन्द अक्कू मैथिली मे अनेकानेक नाटकक लिखि क अपन वंशजक मर्यादाकेँ त रखबे कयलाह अछि संगहि मैथिली साहित्यमे अपन नाम स्वर्णक्षर मे लिखबा लेलाह अछि। ई मैथिली साहित्यक जानल-मानल नाटककार छथि। एखनो ई निरंतर अपन पिता सदॄश सृजनशील छथि।
ई संस्कृत साहित्यक अध्येता रहल छथि मुदा लेखन हिनक मूलतः मैथिलीमे रहैत छनि। ओना ई हिन्दीमे रचना सेहो करैत छथि लेकिन नाम मात्रक। ई मैथिली मे जे रचना करैत छथि से अभावक पूर्तिक लेल। मैथिलीमे ई लिखनाइ जे प्रारम्भ कयने छलाह से अभावे पूर्तिक लेल आ एखनो अभावेकेँ पूर्ति करबाक लेल लिखैत छथि। सत्य पूछल जाय त हिनक विवशता छन्हि मैथिली मे लिखब कारण जँ ई नहि लिखतथि त अनेको ठाम शोकाकुल जकाँ वातावरणं बन रहितैक मुदा से ई होबय दैत छथि। ई एको बेर एहन नहि कयने होयताह जे कोनो संस्था हिनकासँ नाटक लिखबाक सादर अनुरोध कयने होनि आ ई हुनक अनुरोधकेँ अस्वीकार कयने होथि। ई हुनका लोकनिक उत्साहकेँ आओर बल प्रदान क दैत छथि।
Dr. Shalini Thapa डा. अरविन्द अक्कूक, मैथिली नाट्य-साहित्य, प्रकृतिक, अभावक, पूर्तिक।
Publication Details Published in : Volume 8 | Issue 1 | January-February 2025 Article Preview
Assistant Professor, HSB Government PG College, Someshwar, District Almora (Uttarakhand)
Date of Publication : 2025-02-10
License: This work is licensed under a Creative Commons Attribution 4.0 International License.
Page(s) : 52-77
Manuscript Number : SHISRRJ25819
Publisher : Shauryam Research Institute
URL : https://shisrrj.com/SHISRRJ25819